मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानीमे सजत ध्रुपदक महफिल
दरभंगा : ऋतुराज बसंतक स्वागत एहि बेर ध्रुपद गायिकी सऽ होएत। दूरदर्शन पटना एकर तैयारीमे लागल अछि। संस्कृत विश्वविद्यालयक दरबार हालमे सरस्वती पूजाक अवसर पर 15 फरवरी सऽ तीन दिनी आयोजन होएत। इ जनतब बीतल काल्हि पटना सऽ पहुंचल दूरदर्शन केँद्रक कार्यक्रम अधिशासी राज कुमार नाहर आ राम मोहन सिँह देलनि। ओ बतौलनि जे अप्पन समृद्ध संस्कृति कऽ लऽ विख्यात मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी के रुपमे मशहूर इ जिलाक पहिचान जाहि तरहे माछ, पान, मखान आ मिथिला पेँटिँगक लेल अछि ओहि तरहे अंर्तराष्ट्रीय स्तर पर एतुक्का ध्रुपद गायिकी केर विशिष्ठ परंपरा प्रतिष्ठित अछि। एकरा ध्यानमे रखैत दूरदर्शनक महानिदेशक त्रिपुरारी शरण एतय ध्रुपद धाम नामक कार्यक्रमक आयोजन करबाक निर्णय लेलनि। 15, 16 आ 17 फरवरी के एतय ध्रुपदक महफिल सजत। एकर जीवंत प्रसारण DD भारती सऽ होएत। श्री नाहर बतौलनि जे स्थानीय ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक धरोहर पर आधारित डक्यूमेँटरीक निर्माण कएल जा रहल अछि। एकरा अंर्तगत विश्वविख्तात अमता घराना पर डक्यूमेँटरी बनि रहल अछि।
0 comments:
Post a Comment