मैथिली फिल्म 'संस्कार' के गीतक रिकार्डिँग भेल संपन्न
दरभंगा : सुशील झा फिल्मस बैनरक अंर्तगत बनय वला मैथिली फिल्म 'संस्कार' केर सभटा गीतक रिकार्डिँग संपन्न भऽ गेल अछि। मुंबई केर स्वरलता स्टूडियोमे फिल्मक सभटा गीत रिकार्ड कएल गेल। फिल्मक निर्माता आ निर्देशक अनिल कुमार झा बतौलनि जे प्रसिद्ध गायक उदित नारायण झा, मजीरा गांगुली, ज्ञानेश्वर दुबे आ पामेला जैनक आवाजमे गीतक रिकार्डिँग भेल अछि। श्री झा बतौलनि जे मार्च महिना सऽ फिल्मक शूटिँग शुरु भऽ जाएत।
0 comments:
Post a Comment