Tuesday, March 26, 2013

मिथिला राज्यक लेल चारि दिनी अनशन भेल संपन्न

नई दिल्ली : पृथक मिथिला राज्यक लेल चारि दिनसँ चलि रहल अनशन बीतल सांझमे समाप्त भेल, जखन अनशनकारी कवि एकांतक संतान अन्नाया आ अविनाश हुनका जूस पीया केँ अनशन तोड़बौलक। अनशनकारी लोकनि अनशन तोड़बा सँ पहिले कहला जे ओ सभ हरेक मैथिलक मुंह पर इ पांति देखय/सुनय चाहैत छथि- भीख नहि अधिकार चाही, हमरा मिथिला राज्य चाही। नई दिल्लीक जंतर-मंतर पर 22 मार्च सँ चलि रहल अनशनक चारिम आ अंतिम दिन करीब 3 बजे तीन गोट अनशनकारी केँ स्वास्थय खराभ भऽ गेल जेकरा बाद दिल्ली पुलिसक जबरदस्तीसँ हिनका सभ केँ लगक राममनोहर लोहिया अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल ओतय राजीव झा कवि एकांत के दू बोतल स्लाइन आ मनोज झा आ कौशल केँ एक-एक बोतल स्लाइन चढ़ल। अखन आब तीनू अनशनकारीक स्वास्थय ठीक अछि। बीतल सांझ पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल प्रधानमंत्री, राष्ट्रपति आ गृहमंत्री केँ ज्ञापन सौँपल गेल।

0 comments:

Post a Comment