पूर्णिया : पूर्णिया जिलासँ दार्जलिंग पर्वत लगभगि 200 किलोमीटरक दूरी पर अछि, एहि कारणे पूर्णिया केँ पुअर मैन दार्जलिंगक नामे जानल जाइत अछि। ऐतिहासिक दृष्टिये इ मिथिलाक बहुत महत्वपूर्ण जगह मानल जाइत अछि। एतय मौर्य आ गुप्त आदि शासक पैघ समय धरि राज केलक। इ जिला अररिया जिलाक उत्तर, कटिहार आ भागलपुर जिलाक दक्षिण, पश्चिम बंगालक पश्चिम दिनाजपुर आ किशजगंजक पूर्व आ मधेपुरा आ सहरसा जिलाक पश्चिमक बीचमे अछि ।
पूर्णियामे कतय घूमी -
1. पुराणदेवी मंदिर : इ मंदिर त्रिपुरा सुंदरीक पुरान मंदिर अछि। त्रिपुरा सुंदरी देवी दुर्गाक एकटा रूप अछि। पूर्णिया शहरमे स्थित एहि मंदिरक प्रति एतुक्का लोकमे बहुत श्रद्धा अछि। मानल जाइत अछि जे एहि मंदिरक निर्माण राजा चंद्रा लाल सिंह करौने छलथि।
2. बनीली : इ गाम पूर्णियाक उत्तरमे लगभगि 13 किलोमीटरक दूरी पर अछि। एहिगाममे एकटा प्राचीन मंदिर आ किला अछि।
3. बारह स्थान : इ मंदिर भवानीपुर लग स्थित अछि। एहि मंदिरक निर्माण 1948 ई. मे कएल गेल छल। मंदिरमे भगवान ब्रह्माक पाथरक बनल मूर्ति स्थापित अछि। सभ बरख कार्तिक पूर्णिमाक मौका पर एतय मेलाक आयोजन होइत अछि।
4. भवानीपुर : पूर्णिया शहरक दक्षिण-पश्चिमसँ लगभगि आठ किलोमीटरक दूरी पर कृत्यानन्द नगर लग इ गाम अछि। इ गाम एतय स्थित देवी कामाख्याक मंदिर लेल जानल जाइत अछि। मानल जाइत अछि जे एहि मंदिरमे प्रार्थना केलासँ सभ रोगसँ मुक्ति भेटि जाइत अछि। एहि कारणे एतय भक्तक भीड़ रहैत अछि। सभ बरख चैत मासमे एतय वार्षिक मेलाक आयोजन होइत अछि।
5. धरहरा : धामदहाक उत्तर-पूर्व सँ लगभगि पांच किलोमीटरक दूरी पर धरहरा गाम स्थित अछि। एतयसँ बनमखनी बाजार कनिके दूरी पर अछि। इ मार्केट विशेषत:अप्पन प्राचीन परम्पराक लेल जानल जाइत अछि। एहि गाममे एकटा प्राचीन किला अछि जेकरा साकेतगढ़ केर नामे जानल जाइत अछि। पौराणिक कथाक अनुसार एहि किलाक निर्माण राक्षस, राजा हिरण्यकश्यप करौने छलथि। एतय एकटा एकाश्मक सेहो अछि जेकरा माणिकथन केर नामसँ जानल जाइत अछि। कहल जाइत अछि जेमाणिकथन स्तम्भमे सँ भगवान नरसिंह प्रकट भेल छलथि आ ओ हिरण्यकश्यपक वध केने छलथि।
6. गुलाब बाग : पूर्णिया रेलवे स्टेशन लग इ प्रमुखतया जूटक बाजार अछि। सभ बरख पैघ संख्यामे एतय बहुतो रंगक मेलाक आयोजन होइत अछि।
7. मजरा : यह गाम कृत्यानन्द नगर खण्डमे अछि। एतय एकटा सर्वोदय आश्रम आभगवान शिव जीक मंदिर अछि। सभ बरख शिवरात्रिक अवसर पर शिव मंदिरमे बहुत पैघ मेलाक आयोजन कैल जाइत अछि। पैघ संख्यामे मिथिलावासी मंदिरमे भगवान शिवक दर्शन करबा लेल आबैत छथि।
* कोना जाए -
1. वायु मार्ग : पूर्णियासँ कोलकाता आ पटना लेल हवाई सेवा उपलब्ध अछि। एकरा अलावे पटना स्थित जयप्रकाश नारायण अंतर्राष्ट्रीय एयरपोर्ट अछि जे 313किलोमीटरक दूरी पर अछि। एकरा अलावे गया अंतर्राष्ट्रीय एयरपोर्ट, गया सेहो अछि 319 किलोमीटरक दूरी पर अछि।
2. रेल मार्ग : सबसँ नजदीकी रेलवे स्टेशन कटिहार अछि। इ स्थान रेलमार्ग द्वारा भारतक बहुतो प्रमुख शहर सँ जुड़ल अछि।
3. सड़क मार्ग : राष्ट्रीय राजमार्ग नंबर31 सँ पूर्णिया पहुंचल जा सकैत अछि। भारत बहुतो क्षेत्र जेना उत्तर प्रदेश, बंगाल, आसाम, उड़ीसा आ झारखंड आदि सँ पूर्णिया सड़क मार्ग द्वारा आसानी सँ पहुंचल जा सकैत अछि।
(साभार : यात्रा सलाह डाट काम)

Suman Yadav
ReplyDeleteअपना भाषामे एतेक बढ़िया जानकारी, अहांक टीम केँ धन्यवाद!