बनि रहल अछि उर्दू-मैथिली आ अंग्रेजीक शब्दकोष
लखनऊ/दरभंगा : भारतीय भाषा संस्थानक तत्वावधानमे उर्दू शिक्षण आ अनुसंधान केँद्र दिससँ आगामी 31 मार्चसँ 4 अप्रैल धरि लखनऊ स्थित मदन मोहन मालवीय मार्गमे होए वला कार्यशाला लेल सीएम कालेजमे हिँदीक प्राध्यापक डा॰ कृष्णचंद्र झा मयंक केँ आमंत्रित कएल गेल अछि। एहि कार्यशालामे मैथिली, उर्दू आ अंग्रेजी लेल बनाओल जा रहल डिक्शनरी पर विमर्श कएल जाएत। बताबी जे केँद्र सरकारक उर्दू शिक्षण आ अनुसंधान केँद्र उर्दू-मैथिली आ अंग्रेजी शब्दक शब्दकोष तैयार कऽ रहल अछि जाहिमे डा॰ मयंक केँ मैथिली शब्दक विशेषज्ञ रुपे आमंत्रित कएल गेल अछि।
0 comments:
Post a Comment