Saturday, March 30, 2013

डा॰ आरके चौधरी भेला सम्मानित

जमशेदपुर :
करनडीह लग लाल बहादुर शास्त्री मेमोरियल (LBSM) कॉलेजक मैथिली विभागाध्यक्ष डॉ. आरके चौधरी केँ मैथिली भाषा आ संस्कृतिक विकासमे विशिष्ट योगदान देबा लेल मिथिला साहित्य गौरव सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल अछि। इ सम्मान भारत सरकारक संस्कृति मंत्रालय आ मैथिली प्रवाहिका छत्तीसगढ़क संयुक्त तत्वावधानमे रायपुरमे आयोजित अखिल भारतीय मिथिला महोत्सवमे देल गेल। समारोहमे नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक संस्कृति विभागक अध्यक्ष राम भरोस कापड़ि भ्रमर इ सम्मान डा॰ चौधरी केँ देलखिन। ड॰ चौधरी भारत सरकारक साहित्य अकादमीमे मैथिली परामर्शदात्री समितिक सदस्य आ मैथिली अकादमी, पटनाक पूर्व प्रमुख रहल छथि।

0 comments:

Post a Comment