Saturday, July 20, 2013

मिथिला राज्य निर्माण यात्रा - 2

दरभंगा/भागलपुर : लोकसभा चुनाव लग अबितै मिथिला राज्यक मांग जोर पकड़ि रहल अछि। एहि कड़ीमे एहि बरख बनल मिथिला राज्य निर्माण सेना अप्पन मिथिला राज्य निर्माण यात्रा -2, 22 जुलाईसं सुल्तानगंजसं शुरु करत।
इ यात्रा 22 जुलाईसं सुल्तानगंज(भागलपुर) सं शुरु भऽ बासुकीनाथ(दुमका) केँ 26 जुलाईकेँ संपन्न होएत। यात्रा सुल्तानगंज (भागलपुर) सं शुरु भऽ तारापुर(मुंगेर), रामपुर(मुंगेर), कुमरसाइर(मुंगेर), धौरी(मुंगेर), जिलेबिया(मुंगेर), सुइया(बाँका), दण्डी आश्रम(बाँका), अभरक्खा(बाँका), कटोरिया(बाँका), इनारावरण(बाँका), गोरियारी(बाँका), दुम्मा(मोहनपुर), कलकतिया(मोहनपुर), भूत बंगला(देवघर),
बाबाधाम(देवघर), वासुकीनाथधाम(दुमका) तक चलत।

बताबी जे मिथिला राज्य निर्माण सेना अप्पन पहिल मिथिला राज्य निर्माण यात्रा -1, युवा अनूप कुमार केर नेतृत्वमे 1 जूनसं 10 जून धरि उत्तरी मिथिलामे केँद्रित कऽ केने छल आ ओकरा बाद एहि क्षेत्रमे लगातार मिथिला राज्यक लेल नुक्कड़ सभा, बैसार, धरना आदि कऽ रहल अछि आ जाहिमे लोकक भरपूर सहयोग भेटि रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment