प्राप्त जानकारी केर अनुसार भारी बरखासं नदीमे आएल उफानसं नगर पंचायत जोगबनी केर इन्द्रानगर, खजुरबाड़ी, पुराना जोगबनी, घुसकीपट्टी केर दर्जनों घरमे बाढ़िक पानि फेर घुसि आएल। जाहिसं लोक सभ घर छोड़ि सुरक्षित ठाम पर जा रहल छथि। संगहि भारी बरखाकेँ कारणे जोगबनी थाना परिसरमे ठेहुन भरि पानिक भरि जेबासं थाना टापूमे बदलि गेल अछि जाहिसं हथियारक संग-संग सुरक्षा व्यवस्था सेहो चरमरा गेल अछि।
एम्हर बाढ़ि पीड़ितक कहब अछि जे पिछला बेर हमर सभक घरमे बाढ़िक पानी ऐबाक बाद प्रशासन द्वारा अखन धरि राहतक कोनो काज नहि कएल गेल अछि। एतबा नहि एतुक्का जनप्रतिनिधी सेहो बजबा केँ अलावा एहि दिशामे कोनो कदम नहि उठौलनि।
0 comments:
Post a Comment