विष्णुक एहि सफलता पर कोसी स्पोटर्स एकेडमी केर सदस्य सभ खुश छथि। अध्यक्ष लगाइत सभ सदस्य विष्णुकेँ बधाई दैत आगू नीक खेलबाक शुभकामना देलन्हि।
मिथिलाक लाल भारतीय क्रिक्रेटक U-16 टीममे शामिल
सहरसा : जौँ दृढ़ संकल्प आ इच्छाशक्ति होए तऽ सफलताक हरेक ऊंचाई पर चढ़ल जा सकैत अछि। मिथिलाक लाल विष्णु कुमार भारतीय क्रिकेट टीमक अंडर 16 मे शामिल भऽ एहि बातकेँ साबित कऽ देलनि। 6 बरखक कठिन परिश्रमक बाद हिनका बरक 2010 मे लखनऊ, बरक 2011 आ 12 मे चंडीगढ़मे स्कूल गेम्स फेडरेशन द्वारा आयोजित क्रिकेट मैचमे खेलबाक मौका भेटल आ अंतत: इ सफलताक अंतिम सीढ़ी पर अप्पन दस्तक देबामे सफल रहला। विष्णु 27 सं 31 जुलाई धरि आगरामे आयोजित कोचिंग कैंपमे भाग लेबा लेल बिहार स्पोटर्स ऑथोरिटी केर निदेशक संग सचिव अजय कुमार सिंह पत्र पठा आमंत्रण देलन्हि। सहरसा निवासी अजय रायक पुत्र विष्णु एहि सफलताक श्रेय कोसी स्पोटर्स एकेडमी केँ दैत छथि। हुनक कहब अछि जे एकेडमी हुनका प्रशिक्षित करबा आ आगू बढ़बामे बड्ड मददि केलक।
विष्णुक एहि सफलता पर कोसी स्पोटर्स एकेडमी केर सदस्य सभ खुश छथि। अध्यक्ष लगाइत सभ सदस्य विष्णुकेँ बधाई दैत आगू नीक खेलबाक शुभकामना देलन्हि।
विष्णुक एहि सफलता पर कोसी स्पोटर्स एकेडमी केर सदस्य सभ खुश छथि। अध्यक्ष लगाइत सभ सदस्य विष्णुकेँ बधाई दैत आगू नीक खेलबाक शुभकामना देलन्हि।
Wahh, maza aabi gel ey samachar ke suni ke.
ReplyDelete