Wednesday, August 21, 2013

सावनक मेलामे 19 दिनमे 14 करोड़क आमदनी

देवघर : सावन मेलाक अठारह दिन बीतलाक बाद सरकारकेँ बाबा मंदिर संग अन्य स्त्रोतसं 14 करोड़सं फाजिल आमदनी भेल अछि। एहि दौरान 19 लाख शिवभक्त बाबा केर पूजा अर्चना केलनि।
जिला जनसंपर्क पदाधिकारी बीके झा बतौलनि जे बीतल बरख केर तुलनामे एहि बरख 5 लाख बेसी कांवरिया देवघर ऐला जे अरघासं जलार्पण केलनि।
ओ कहलनि जे बीतल बरखक पहिल अठारह दिनमे 14.64 लाख भक्त पूजा केने छलथि जखन की एहि बेर 19.10 लाख भक्त जलार्पण केलन्हि जे एहि बातकेँ देखौबैत अछि जे एहि व्यवस्थासं कांवरिया खुश छथि संगे आसानीसं महादेवक दर्शन सेहो कऽ रहल छथि।
बताबी जे बाबा मंदिर केँ जे आमद भेल अछि ताहिमे सबसे बेसी शीघ्र दर्शनमसं 1.38 करोड़ अछि। प्रिमियम दर्शनसं 1.80 लाख आ प्रथम दर्शनसं 1.70 लाख अछि। पहिल बेय शुद्ध गायक दूधक पेड़ा मंदिर प्रबंधन बोर्ड दिससं मंदिर काउंटरमे प्रयोगक रुपे राखल गेल जासिसं लगभग 6 लाखक बिक्री भऽ गेल अछि।

0 comments:

Post a Comment