Saturday, August 24, 2013

24 केँ मधेपुरामे रेल ट्रैक पर देत धरना कम्युनिस्ट पार्टी

मधेपुरा : मधेपुरा-मुरलीगंज रेल परिचालन, राज्यरानी एक्सप्रेस, जानकी एक्सप्रेस आ हाटेबाजारे एक्सप्रेस केँ मधेपुरा धरि चलेबाक मांग लऽ भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी 24 अगस्त केँ मधेपुरा रेलवे स्टेशन आ ट्रैक पर धरना प्रदर्शन करत। इ जनतब दैत जिला मंत्री प्रमोद प्रभाकर बतौलनि जे किछु दिन पहिले मुरलीगंज रेलवे स्टेशन पर संघर्ष समितिक तत्वावधानमे सर्वदलीय धरनामे रेल मंडल समस्तीपुर केर अधिकारी डीएम केर समक्ष आश्वस्त केने छलथि जे 15 अगस्त धरि मुरलीगंज-मधेपुरा रेलखंड पर ट्रेन चलत मुदा एक बेर फेर इ आश्वासन पूरा नहि भेल। मांग नहि मनबाक कारणे विवश भऽ भोर दस बजेसं ट्रैक पर धरना प्रदर्शन कऽ अप्पन मांग कऽ राखत।

0 comments:

Post a Comment