Tuesday, August 20, 2013

नहि रहली अंशु

पटना/दरभंगा : मैथिलीक युवा गायिका अंशुमाला झा नहि रहली। भोरे इ दुखद समाद आएल जे ओ पटनामे अंतिम सांस लेली। मिथिलावासी इ खबरि सुनि शोकमे छथि।बताबी जे अंशुमालाक गुर्दा प्रत्यारोपण हालहि मे दिल्लीमे भेल छल जाहिमे अंशुक मां अप्पन एकटा किडनी दऽ अप्पन बेटी केँ बचौने छली जेकरा बादसं ओहो बीमार रहैत छथि। अंशु अप्पन पति सं उपेक्षित सन छली। टीबीक शिकायत सेहो छल हुनका। किछु मास पहिले ओ दिल्लीक सर गंगाराम अस्पतालमे भर्ती छलथि, ओतयसं तऽ ओ उबरि गेली मुदा एहिबेर नहि। अंशुमालाक जन्म मधुबनीमे भेल मुदा कर्मक्षेत्र दिल्ली रहल। हिनक केतेको गीत बहुत लोकप्रिय भेल जाहिमे प्रिय पाहुनक गीत सबसं बेसी, अंशु बहुत तेजीसं आगू बढ़ि रहल छली, न जानि केकर नजरि लागि गेल हो हिनका।

मिथिला प्राइमक संग समस्त मिथिलावासी दिससं हिनक श्रद्धांजलि!

2 comments:

  1. I came through this news while debugging this website... सुनि क' बहुत बहुत बहुत बहुत जादा दुख भेल. . दुआ करैत छी ओ पुनः अओतीह.

    ReplyDelete
  2. हमरे हिस्से में पहले से ही बहुत दुःख था.... अब एक और.. !! क्यों ??

    ReplyDelete