महासेतु बनलासं होएत सुल्तानगंजक विकास
सुल्तानगंज/भागलपुर : अगुवानीघाटसं सुल्तानगंजकेँ बीच महासेतु बनेबाक राज्य सरकारक घोषणासं भागलपुरवासीमे खुशीक लहर अछि। सुल्तानगंज विकास समितिक संयोजक वीरेन्द्र कुमार यादव बतौलनि जे एहिसं सुल्तानगंज केर चौमुखी विकास होएत। व्यवसाय बढ़त, मजदूरक पलायन रुकत। पुल बनलासं समस्तीपुर, खगड़िया, सहरसाक लोक सीधे सुल्तानगंज पहुंचि सकता। कांवरियों केँ सेहो फायदा होएत।
0 comments:
Post a Comment