समस्तीपुर रेलमंडलमे खगड़िया−सहरसा रूट पर राज्यरानी एक्सप्रेससं कटि 35 लोकक मृत्युक खबरि अछि। सूत्रक मुताबिक, इ घटना भोरे करीब 8 बजे भेल।
घटनास्थल लग कात्यायनी मंदिर अछि। सावन मासक अंतिम सोमवारी होएबाक कारण ओतय पैघ संख्यामे श्रद्धालुक भीड़ जमल चल। लोक ट्रैक पार कऽ मंदिर दिस जा जा रहल छलथि। सूत्रोंक मुताबिक, ओतय एक हॉल्ट अछि मुदा राज्यरानी एक्सप्रेसक ठहराव नहि अछि। ट्रेनक स्पीड सेहो फाजिल छल। बिहारक मुख्यमंत्री एहि घटना पर शोक जताबैत मृतक केँ परिवारकेँ दू लाखक सहायता राशिक घोषणा केलनि!
0 comments:
Post a Comment