Sunday, August 4, 2013

मतदाता परिचयपत्र बनाबएमे छुटलसभकेँ फेरसँ अवसर देल जाए

जनकपुर : तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक केन्द्रीय अध्यक्ष महन्थ ठाकुर मतदाता परिचयपत्र बनाबएमे छुटलसभकेँ जाधरि परिचयपत्र नहि बनत ताधरि अपने परिचयपत्र नहि बनाएब घोषणा कएलन्हि अछि। ठाकुरजीक घोषणाक हिसाबसं जायज अछि। नेपालमे लाखो व्यक्ति मतदाता परिचयपत्र बनाबएसँ छुटल अछि। ओ व्यक्तिसभकेँ फेरसँ अवसर नहि देल गेल तऽ ओसभ चुनावमे सहभागी नहि भऽ सकैत छथि। एहनमे चुनावक वैद्यतापर सेहो प्रश्न उठि सकैत अछि। तेँ राजनीतिक दलसभकेँ गम्भीरतापूर्वक सोचब आवश्यक अछि। निर्वाचन आयोग आ सरकारकेँ सेहो गम्भीरता देखाबक चाही।
एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड सेहो एहि मुद्दाकेँ लऽ कऽ निर्वाचन आयोगकेँ आग्रह कएने अछि। एक हप्ताक अवसर दऽ कऽ यदि फेरसँ मतदाता परिचयपत्र बनैतअछि तऽ बड बडका अपराध नहि भऽ सकैत अछि आ बरु अपराध हएत तऽ ओ व्यक्तिसभकेँ छोड़ल गेल तऽ। निर्वाचनमे सम्पूर्ण नेपाली सहभागीहुए तऽ सभसँ उत्तम। ओना महन्थ ठाकुरवा पुष्प कमल दाहाल प्रचण्ड मतदाता परिचयपत्र नहि बनल प्रति आइ चिन्ता करैत छथि ओहिसँ पहिने अर्थात परिचयपत्र बनल समयमे कएने रहितथि तऽआइ एहन स्थिति नहि आएल रहथि। सरकारककार्यक्रमसभ प्रति राजनीतिक दलद्वारा देखाओल उदासिनता बहुत समस्याक कारक बनैत अछि । ओसभ परिचय पत्र बनौक ताहि लेल किछु काजे नहि कएलन्हि ।

(जनकपुरसं सुजीत कुमार झाक समाद)

0 comments:

Post a Comment