सुपौल : मिथिला क्षेत्रक लंबित विभिन्न रेल परियोजनासं भऽ रहल परेशानी दिस भारत सरकारक रेल मंत्रीक ध्यान आकृष्ट करैत कांग्रेस नेत्री संग पूर्व सांसद रंजीत रंजन सात सूत्री मांगक एकटा ज्ञापन समर्पित केलनि अछि। बीतल काल्हि समर्पित ज्ञापनमे पूर्व सांसद बतौलनि जे मिथिलाक इ परियोजन सभ दशकोँ पुरान अछि मुदा आइ धरि ओहि योजना केँ पूरा नहि कएल गेल अछि। जाहि कारणे क्षेत्रक जनता रेल सुविधासं वंचित अछि। ओ सहरसा-फारबिसगंज आमान परिवर्तन संगे कतेको योजनाक प्रति विभागक उदासीन रवैयाक आरोप लगौलनि। ज्ञापनमे कएल गेल मांग
* मधेपुरासं पूर्णिया जंक्शन(वाया बनमनखी) धरि आमान परिवर्तनक काज
* सहरसासं फारबिसगंज (वाया सुपौल-राघोपुर) धरि आमान परिवर्तनक काज
* बनमनखीसं बिहारीगंज धरि आमान परिवर्तनक काज
* मधेपुरामे स्लीपर फैक्ट्री आ इलेक्ट्रिक इंजन केर स्थापना
* कोसी रेल महासेतु केर दुनू दिस एप्रोच काज
* सकरी-निर्मली रेलखंडमे एप्रोच काज
0 comments:
Post a Comment