Friday, August 9, 2013

मधुश्रावणी पावनि शुक्रदिन,अन्तिम साँझक फुललोढी सम्पन्न

जनकपुर : नव विवाहित मैथिल महिलासभक प्रमुख पावनि मधुश्रावणी शुक्रदिन होएत।
ओ पावनिकेँ तैयारी नव विवाहित महिलासभक घर घरमे भऽ रहल अछि।
एहि अवसरपर महिलासभक घरमे सासुरसं भाढ़ आएल अछि। मधुश्रावणीसं एक दिन पहिने भाढ़ आबएकेँ परम्परा रहल अछि। इम्हर अन्तिम साँझक फुललोढी बृहस्पतिदिन सम्पन्न भेल अछि । १५ दिनधरि साँझमे फुल लोढि वसिआ फुलसँ महिलासभ पूजा करैत छली। एहि बेरक मधुश्रावणीक फुललोढी अन्तिम साँझ भेलाक कारण बृहस्पति दिन जनकपुरक जानकी मन्दिर, विवाह मण्डपमे महिलासभक देखए लायक भीड़ छल ।
समूहमे बैसि कऽ ओ सभ घण्टो गीत गएने छली। पतिक दीर्घायूक लेल महिलासभ मधुश्रावणी पावनि करैत छथि। अन्तिम दिन महिलाकेँ टेमी देबएकेँ सेहो परम्परा रहल अछि।

(जनकपुरसं सुजीत कुमार झाक समाद)

0 comments:

Post a Comment