Thursday, October 24, 2013

श्रद्धासं आयल छी, बाकि, जानथिन गंगा माय!

बीहट/बेगूसराय : 17 अक्टूबरसं प्रसिद्ध राजकीय कल्पवास मेला शुरु भऽ गेल मुदा मेला क्षेत्रमे अखनो जरुरती सुविधाक अभाव अछि। मुख्य स्नान घाट केँ खतरनाक घोषित कऽ देल गेल अछि। जखनकी, आन घाट सेहो भगवान भरोसे अछि। कखनो दुर्घटना घटि सकैत अछि। बताबी जे कल्पवास मेला कऽ लऽ भोरेसं स्नानक लेल श्रद्धालुक भीड़ लगैत अछि। कतेको कल्पवासी 70 पारक अछि।
कतेको कल्पवासीक कहब अछि जे सिमरियाक कल्पवास मेलामे सुविधाक समुचित अभाव अछि। एकटा कल्पवासीक कहब अछि, श्रद्धासं आयल छी, बाकि, जानथिन गंगा माय!
बताबी जे, कल्पवास मेलाक आठ दिन बीतबाक बादो मेला क्षेत्रमे अखन धरि स्वास्थ्य, साफ-सफाई, पेयजल आदिक समुचित व्यवस्था नहि अछि। जखनकी, सुरक्षा व्यवस्था सेहो राम भरोसे अछि। पुलिस बलक तैनाती नाम मात्र लेल अछि। मंगलदिनसं कल्पवासीक निबंधन काज शुरु अछि। निबंधन केर बाद कल्पवासीकेँ किरासन तेल देल जाएत। कहबाक तात्पर्य जे अखन धरि मेला क्षेत्रमे किरासन तेलक आवंटन नहि कएल गेल अछि। एहि संबंधमे सदर SDO सत्यप्रकाश मिश्र बतौलनि जे दू दिनमे किरासन तेलक आवंटन भऽ जाएत आ ओकरा बाद वितरणक काज शुरु होएत।

0 comments:

Post a Comment