मिथिला राज्य केँ भेटत प्राथमिकता : कीर्ति आजाद
बिरौल(दरभंगा) : सांसद कीर्ति आजाद कहलनि जे, जौँ केंद्रमे मोदीक सरकार बनत तऽ पृथक मिथिला राज्य बनाबय केँ प्रथम प्राथमिकता देल जाएत। नरेंद्र मोदी दरभंगा ऐबाक निमंत्रण स्वीकार केलन्हि अछि आ जो जल्दिये दरभंगा आबि सकैत छथि संगे ओ मां जानकी केर जन्मभूमिक सभ लोककेँ प्रणाम कहलन्हि। संगे श्री मोदी द्वारा एतय मैथिलीमे जनताक अभिनंदन करबाक उम्मीद अछि। सांसद श्री आजाद बृहस्पति केँ पत्रकार वार्ता केँ संबोधित करैत कहलनि।
0 comments:
Post a Comment