DMCH : की छल आ की भऽ गेल!
दरभंगा: DMCH के नाम देश टा नहि अपितु विदेशमे चर्चित मेडिकल संस्थाक रुपे रहल अछि जे आब अप्पन बदहाली पर कानि रहल अछि। एतय अखनो नेपाल धरिक लोक इलाजक लेल अबैत छथि। पहिले स्वास्थ्य कर्मी आ डॉक्टरमे मरीज केँ देखबाक आ हुनका ठीक करबाक प्रति ललक छल। अस्पताल प्रशासकसं लऽ विभागाध्यक्ष धरि एलर्ट रहैत छलथि। अस्पताल अधीक्षक, एचओडी, यूनिट इंचार्ज, मेट्रॉन आदिक राउंडसं परिजन, मरीज आ आन लक अप्पन घड़ीक कांटा मिलाबैत छलथि। प्रशासक केर उपचारक बुनियादी सामग्री पर नजरि रहैत छल। उपचारक एक सामग्रीक कमी वा गंदगी पर यूनिटसं लऽ अस्पताल अधीक्षक कार्यालय धरि हाय तौबा मचैत छल मुदा आब ओ बात कतय। बरख बीति जाइत अछि आ पैथोलॉजी आ रेडियोलॉजी जांच घरमे ताला लटकल रहैत अछि। मरीजक जीवन रक्षक दवाइ तऽ छोड़ू रूई लेबा लेल सेहो हालत खराब भऽ जाइत छैक। वार्डमे डॉक्टर कखन ऐला आ राउंड लगा कखन चलि गेला, पतो नहि चलैत अछि। बरखामे अस्पतालक आंगन डूबल रहैत अछि, मकान सभ जर्जर अवस्थामे अछि, दरभंगा मेडिकल कालेज कचड़ा घर सन बनि गेल अछि। समय-समय पर हड़ताल भेलासं मरीज केँ तऽ परेशानी होइते छैक संग संस्थानक प्रतिष्ठा सेहो कम भेल जा रहल अछि मुदा DMCH केर ठेकेदार सभक मोनमे शायद यैह रहैत अछि - हमका कोन गरज रे भाइ!
0 comments:
Post a Comment