हरीश रावतक बयानक विरोधमे प्रदर्शन आ पुतल दहन
नई दिल्ली : 24 नवम्बर 2013 रवि केँ दिनक 12 बजेसं भारतक राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीक जंतर मंतर पर मैथिल यूथ परिषद्के तत्वावधानमे एकटा शांतिपूर्ण प्रदर्शनक आयोजन कएल जा रहल अछि।
मां सीता केँ विदेशी कहनिहार श्री हरीश रावत (केन्द्रीय मंत्री) समस्त हिंदू समाजक आस्था आ विश्वास केँ ठेस पहुंचेलनि। मां सीताक का जन्म सीतामढ़ी, मिथिला, भारतमे भेल छल जेकर वर्णन सभ पौराणिक कथा, धर्मग्रन्थमे वर्णित अछि।
जौँ केन्द्रीय मंत्री केँ अप्पन देशक धर्म आ इतिहासक बारेमे जानकारी नहि अछि तऽ इ शर्मनाक गप्प अछि। जौँ हरीश रावत हिंदू समाजसं सार्वजनिक रूपे माफ़ी नहि मंगैत छथि तऽ एकर परिणाम राष्ट्रव्यापी आन्दोलनक रूपे उभरि कऽ सोझां आएत।
एकरा संगे मिथिला राज्य निर्माण सेना सेहो हरीश रावतक एहि बयानक निंदा करैत 24 नवम्बरकेँ दिनक 2 बजे कॉफ़ी हाउस, कनाट प्लेससं हरीश रावतक घर धरि मार्च करत आ हरीश रावत केर घरक सोझां हरीश रावतक पुतला दहन करैत अपन विरोध दर्ज करत।
Publicity Stunt ... What's wrong with 'VIDESHI' word ? This is not an offensive word. Is this ? You can call Harish Rawat's statement 'STUPID'. But it is not worth doing so-called 'pradarshan' against it.
ReplyDeleteHarish Rawat has indeed made a 'STUPID' statement. But, it is not ture saying - '"समस्त हिंदू समाजक आस्था आ विश्वास केँ ठेस पहुंचेलनि। "
ReplyDeleteKya bhagwan videshi nahin ho sakte ?? Jaruri to nahin ki Bhagwan ka har ek avtar India me hi ho. Ho sakta hai ki Bhagwan ka next avatar Nigeria me ho.... Isme bura feel karne wali kon si baat hai ? AFTER ALL, THE GOD DOES NOT NEED CITIZENSHIP or PASSPORT of any state(or country or whatever). Does (s)he ?