पश्चिमी कोसी नहर लेल भेटल 180 करोड़
पटना : जल संसाधन विभाग, बिहार पश्चिमी कोसी नहर परियोजनाक लेल 179.20 करोड़ रुपये जारी कऽ देलक अछि। विभाग योजना पर संशोधित राशिक रूपे इ राशि जारी केलक अछि।
विभागीय अधिकारिय कहब अछि जे कि पश्चिमी कोसी बेसिन केर सिंचाई परियोजना पर 1307.21 करोड़ खर्च भऽ रहल अछि। चालू वित्तीय बरख 2013-14 मे एकरा पूरा करबाक अछि। योजना केँ पूरा होएबामे 180 करोड़ रुपया आओर जरुरत छल ताहि लेल विभाग संशोधित राशि जारी कऽ देलक अछि।
0 comments:
Post a Comment