मुंगेर-खगड़िया गंगा पुल रेलखंडक होए दोहरीकरण
मुंगेर : मुंगेर-खगड़ियाक बीच गंगा नदी पर बनि रहल रेल संग सड़क पुल निर्माणक लऽ संघर्षरत संस्था 'जागृति' आब पुलक दोहरीकरणक पर आंदोलन शुरु केलक अछि। प्रो. शब्बीर हसनक अध्यक्षतामे भेल बैसारमे रेल पुलक दोहरीकरण पर सर्वसम्मतिसं आंदोलन करबाक निर्णय लेल गेल। वक्ता सभक कहब छल जे निर्माणाधीन रेल संग सड़क पुल पर सिँगल रेल लाइन राष्ट्रीय राजमार्ग पर बननिहार पुल पर दोहरी रेल लाइन बिछेबाक प्रावधान अछि। सिंगल लाइनमे अनावश्यक समय बर्बाद होइता अछि। दोहरीकरणमे मात्र 80 करोड़क खर्चा लागत। कार्यकताक कहब छल जे 26 दिसंबर 2002 केँ जखन रेल पुलक निर्माण शुरु भेल छल तखन एकर लागत मात्र 930 करोड़ छल। पुल निर्माणमे अनावश्यक देरी हेबासं एकर लागत बढ़ि 2700 करोड़ पहुंचि गेल। मुंगेरमे गंगा पर निर्माणाधीन पुलक चौड़ाई डबल लाइन लेल पर्याप्त अछि। जागृति संस्था रेल लाइनक दोहरीकरण पर घोषणा करैत कहलक जे 23 जनवरी केँ सुभाषचंद्र बोसक जयंतीक अवसर पर 'जनता कर्फ्यू' लगाएल जाएत। एहि दिन मुंगेर प्रमंडल बंद रहत।
0 comments:
Post a Comment