Tuesday, December 24, 2013

संकल्प रैली बनत विरोध रैली ?

दरभंगा : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संकल्प रैली विरोध रैली बनबाक बाट पर अछि। बेगूसरायमे चप्पल कांडक बाद दरभंगामे आगामी 28 दिसंबर केँ भऽ रहल संकल्प रैलीमे विरोधक स्वर आएत, पछिला बरख अधिकार यात्राक दौरान मिथिलाक बेतिया, मोतिहारी, बेगूसराय, दरभंगा, खगड़िया, मधुबनी आदिमे जोरगर विरोध प्रदर्शन भेल छल, प्रदर्शनकारी छलथि अनुबंधित शिक्षक। बेगूसरायमे इंजीनियरिँग कालेजक मुद्दा लऽ युवा आक्रोशित छलथि ओतहि एहि बेर ओतहि पोशाक राशिमे गड़बड़ी लऽ सैकड़ों स्कूली बच्चा पहुंचल छल जे बैनर देखा खूब हंगामा केलनि। एहि बेर दरभंगामे मिथिला राज्य निर्माण सेना मुख्यमंत्रीक विरोध करत। सेनाक सेनानी अनूप कुमार गप्प करैत कहलनि जे हमरा सभकेँ विशेष राज्य दर्जा नहि चाही, मिथिला राज्य दर्जा चाही। श्री अनूप कहलनि जे बिहार सरकार एतेक दिनमे मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षा लेल की लेल, भाषाक विकास लेल की केलक ? कैक टा मैथिली शिक्षकक बहाली भेल ? बिहारक मैथिली अकादमी अहांक कार्यकालमे की केलक ? मैथिली सिनेमाक विकास लेल सरकार की केलक ? मैथिलीकेँ मुद्दा बना नीतीश कुमार के घेरबाक पूर्ण योजना अछि।

0 comments:

Post a Comment