Wednesday, December 25, 2013

सीतामढ़ी-रक्सौल रेलखंड पर परिचालन जनवरीसं

सीतामढ़ी : सीतामढ़ी - रक्सौल रेलखंड पर जनवरी 2014 सं ट्रेनक परिचालन शुरू भऽ जाएत। एकरा संगे सीतामढ़ीक संपर्क देशक महानगर सभसं भऽ जाएत। इ गप्प सीतामढ़ीक सांसद अर्जुन राय कहलनि। ओ कहलनि जे सीतामढ़ी-रक्सौलक बीच जनवरी 2014 मे ट्रेन चलब शुरु भऽ जाएत जेकरा बाद मुम्बई, हैदराबाद लेल डायरेक्ट ट्रेन भेटत, संगे रक्सौल-सीतामढ़ी-मुजफ्फरपुर आ रक्सौल-सीतामढ़ी-रेलखंडसं ट्रेन चालू भऽ जाएत। रक्सौल - छौड़ादानो रेलखंडक सीआरएस परीक्षण जल्दिये होएत। एहि परियोजना पर तीन सौ करोड़ रुपया खर्च भेल अछि। एहि खंडक 84 किमी रेलखंडमे सीतामढ़ीसं बैरगनिया धरि 14 अप्रैल 2011 केँ आ बैरगनियासं छौड़ादानो धरि 26 जनवरी 2013 केँ परिचालन प्रारंभ कऽ देल गेल छल। आब छौड़ादानो सं रक्सौल धरिक परिचालन जनवरीमे शुरु भऽ जाएत। सांसद श्री राय कहलनि जे सीतामढ़ीक मेहसौल गुमटी पर ओवर ब्रिज बनेबाक प्रक्रिया शुरु अछि आ एहि योजना पर 35 करोड़क खर्च होएत।

0 comments:

Post a Comment