नेपाली नागरिक सेहो IRCTC सं आब टिकट बुक कऽ सकता
काठमांडू : नेपालक लोक लेल आब भारतीय ट्रेनक टिकट बुक करनाय आसान भऽ जाएत, नेपाली भाइ-बहिन आब घर बसलै IRCTC सं टिकट बुक कऽ सकता। भारतीय स्टेट बैंक नेपाल आ IRCTC कऽ बीच भेल करारक बाद नेपाली नागरिकक लेल भारतक रेल यात्रा सुविधाजनक भऽ जाएत।
नेपाल एसबीआई के CEO विजय कुमार त्यागीक मानी तऽ पहिल बेर IRCTC देशक सीमा पार विदेशी नागरिक केँ इ सुविधा दऽ रहल अछि।
एसबीआई नेपाल केर खाताधारी IRCTC केर सभटा ऑनलाइन सुविधा एहि बरखक जनवरीक पहिल सप्ताहसं भेटनाय शुरू भऽ जाएत। एहि बारेमे दिल्लीमे बीतल गुरु केँ एकटा MOU पर IRCTC आ एसबीआई नेपालक पैघ अधिकारीगण दसखत केलनि।
0 comments:
Post a Comment