Saturday, December 28, 2013

रैलीमे भेल नीतीशक विरोध, मिथिलाक उपेक्षा बर्दाश्त नहि

दरभंगा : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संकल्प रैलीक विरोध मिथिलाक बेगूसराय केर बाद दरभंगा मे सेहो भेल। मिथिला राज्यक गठनक लेल तत्पर मिथिला राज्य निर्माण सेनाक दरभंगाक इकाई आइ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक संकल्प रैलीक विरोध केलक, मिथिला के उपेक्षित भावसं देखनाहर मुख्यमंत्री जे बलुआहा सेतु केँ कोसी-मिथिलाक मिलन कहने छलथि ओ आइ गप्पसं पलटि ओकरा दू भागमे बंटल मिथिलाक मिलन कहलनि संगे मिथिला संस्कृतिक बखान केलनि। मिथिला राज्य निर्माण सेनाक दर्जनोँ सेनानी जे बैनर लऽ शांतिपूर्ण विरोध कऽ रहल छलथि मुदा तयौ जदयूक कार्यकर्ता हिनका सभ पर प्रहार केलक जाहिमे सेनाक श्याम सुन्दर झा आ अनूप कुमार के चोट पहुंचल। एतेक भेलाक बादो मिथिला राज्य निर्माण सेना मुख्यमंत्री के ज्ञापन सौँपलक जाहिमे मिथिला के उपेक्षित रखबाक कारण पूछल गेल, मिथिला मे उद्योग लागय संगे मिथिला राज्यक गठनक मांग कएल गेल।

0 comments:

Post a Comment