Sunday, December 29, 2013

कमला बलानक दायां तटबंध पर बनत सड़क

पटना : कमला बलानक दायां तटबंध पर 42.990 किलोमीटरसं 44.780 किलोमीटर धरि सड़क बनेबाक योजना अछि। तटबंध पर बिटुमिनस सड़क बनाएल जाएत जाहि पर चारि करोड़ 79 लाख 41 हजार रुपया खर्च होएत। जल संसाधन विभाग एहि राशिक प्रशासनिक स्वीकृति दऽ देलक अछि। चालू वित्तीय बरख 2013-14मे एहि योजनाक तहत एक करोड़ रुपया खर्च होएत। बाढ़ि नियंत्रण प्रमंडल संख्या दू, झंझारपुरक माध्यमसं एहि राशिक निकासी होएत। एहि सड़क केँ बनेबाक काज मार्च 2015 धरि पूर्ण कऽ लेल जाएत।

0 comments:

Post a Comment