Friday, December 6, 2013

DMCH केँ भेटय AIMS केर दर्जा

कोलकाता/दरभंगा : मिथिला विकास परिषद, कोलकाता उतर बिहारक सबसं पैघ स्वास्थ्य केंद्र दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल केँ एम्स केर दर्जा देबाक मांग केलक अछि। परिषदक केंद्रीय अध्यक्ष अशोक झा कोलकातामे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री गुलाम नबी आजादसं भेट कऽ इ मांग रखलनि। ओ कहलनि जे आर्थिक रूप सऽ विपन्न मिथिला क्षेत्रक लोकक नीक इलाज लेल देशक आन प्रांतमे जाइ पड़ैत छैक, आर्थिक अभावमे कतको लोक रस्तेमे मरि जाइत छथि। दिल्लीक एम्ससं पैघ चौहद्दी होएबाक बादो प्रतिष्ठित डीएमसीएच पर ध्यान नहि देल जा रहल अछि जतय नेपाल धरिसं लोक इलाजक लेल अबैत अछि।

1 comment:

  1. DMCH ko aims ka darja mile ya na mile bt woha saf-safai aur marizo par dhyan dena chahiye.

    ReplyDelete