'दीवाना अहांक प्यार मे' के भऽ रहल शूटिँग
दरभंगा : जिलाक बिरौल क्षेत्रमे मैथिली फिल्म दीवाना अहांक प्यार मे केर शूटिँग चलि रहल अछि जाहिमे हिँदी-भोजपुरी फिल्मक संगे चर्चित टीवी सीरियल मे काज कऽ चुकल अभिनेत्री जेबा मुख्य महिला किरदारमे छथि। बाबा आचार्या के बैनर तर, नवीन कुमार मिश्रक निर्देशन मे भऽ रहल फिल्मक शूटिँग क्षेत्रवासी लेल आकर्षणक केँद्र बनल अछि। एहि फिल्म मे जेबा अभिनेत्री छथि। मायक मृत्युक बाद हिनक पिता दोसर बियाह करैत छथि। जेबा एकटा लड़का(अभिनेता) माधव रायसं प्रेम करैत छथि मुदा सौतेली माय द्वारा हुनक बियाह एकटा शराबी लड़का सं करा देल जाइत अछि। फिल्ममे बहुतो रोचक मोड़ अबैत अछि जे दर्शक केँ पसिन पड़तन। जेबा कहैत छथि जे पहिल बेर मैथिली फिल्म मे काज कऽ रहल छी, मायानगरी मुंबई सं नीक मिथिला लागि रहल अछि, एतुक्का भाषा बड्ड नीक अछि। जेबा कहैत छथि जे एहि फिल्मक निर्माता विकास बाबा, गोविँद आचार्य के धन्यवाद अछि जे हमरा एहि फिल्म मे काज करबाक मौका देलनि।
0 comments:
Post a Comment