पीड़िताक परिवारक संग अछि मिथिला विकास परिषद : अशोक झा
समस्तीपुर : कोलकाताक मध्यग्राम कांड मानवता केँ शर्मसार कऽ देलक अछि। इ कांड मिथिला टा नहि देश आ विदेशक लेल शर्मनाक अछि। पीड़ित परिवार केँ न्याय आ सुरक्षा भेटय, ताहि लेल मिथिला विकास परिषद कोलकाता सभ संभव प्रयास कऽ रहल अछि। मिथिला विकास परिषदक केन्द्रीय अध्यक्ष अशोक झा विश्वास जतौलनि जे ममता बनर्जी पीड़ित परिवार केँ जरुर मदद करती। परिषद बंगालक मुख्यमंत्रीसं आरोपी पुलिस अधीक्षक केँ बर्खास्त करबाक मांग केलक अछि। परिषदक टीम पीड़ित परिवारक पैतृक गाम पहुंचि वस्तु स्थितिक जानकारी लेलक। परिषदक सचिव मोरवाडीह निवासी वेदानंद झाक नेतृत्वमे प्रभात कुमार राय, शशिकांत झा, अमित कुमार पीड़िताक गामवासीकेँ आश्वस्त केलन्हि जे कोलकातामे परिषद पीड़िता परिवार केँ सभ संभव मददि करबा लेल तत्पर अछि।
0 comments:
Post a Comment