Friday, January 10, 2014

वीरपुर केँ रेलमार्गसं जोड़बाक लेल भेल पदयात्रा

वीरपुर/सुपौल : भीमनगर केँ प्रतापगंज, वीरपुर-बथनाहा आ ललितग्राम -वीरपुर केँ रेल मार्गसं जोड़बाक बरखो पुरान मांग लऽ बीतल बुधवार केँ वीरपुरक सर्वदलीय संघर्ष समिति वीरपुरसं प्रतापगंज धरिक पदयात्रा केलक जेकर नेतृत्व संयोजक प्रताप कुमार सिन्हा केलन्हि। रेल आंदोलन पदयात्रामे सभ राजनीतिक दलक लोकक संग आमलोक एहि मांग केँ अप्पन समर्थन देलनि जे शहरक विभिन्न बाटसं होइत भीमनगर-कटैया, संस्कृत निर्मली, अड़राहा, दुअनियां होइत प्रतापगंज रेलवे स्टेशन गुरू दिन केँ पहुंचल। एहि मौका पर वक्तागण कहलनि जे भारत-नेपाल सीमा पर स्थित आ कोसी परियोजना मुख्यालय वीरपुर केँ अखन धरि रेल हेडसं नहि जोड़ल जाएब दुर्भाग्यपूर्ण अछि जखनकि आजादीक बादसं सबसं बेसी रेलमंत्री बिहारक रहला। ललित बाबू अप्पन रेल मंत्रित्वकालमे एहि खंड पर परिचालन केँ हरियर झंडी देने छलथि मुदा हुनक मृत्युक बाद इ परियोजनाक मृत्यु सेहो भऽ गेल। एहि पद यात्रामे सैकड़ो लोक शामिल छलथि।

0 comments:

Post a Comment