Friday, January 3, 2014

थिरुमलिबा सम्मान पहिल बेर मैथिलीमे, ज्योत्सना चंद्रम केँ

दरभंगा : बंगलुरु स्थित सुपसिद्ध एनएमकेआरवी कालेज फार वीमेँसक सहयोगी संस्था गावती फाउंडेशनक दिस सं सभ बरख कोनो महिला लेखिका केँ देल जाय वला 'नानजाना गुडु थिरुमलिबा अवार्ड' एहि बेर मैथिली लेखिका ज्योत्सना चंद्रम केँ देबाक निर्णय लेल गेल अछि। फाउंडेशनक प्रमुख एन. मनु चक्रवर्तीक अनुसार बरख 1986 सं इ पुरस्कार देल जाइछ जाहिमे पहिल बेर मैथिली भाषाक लेखिका केँ पुरस्कार भेटत। श्रीमती चंद्रम केँ इ पुरस्कार बंगलुरुमे 28 जनवरी केँ भेटत जाहिमे 40 हजार रुपैयाक संगे प्रतीक चिन्ह आ कामधेनु केर मूर्ति देल जाएत। मिथिला प्राइम दिस सं श्रीमती ज्योत्सना चंद्रम केँ बधाई!

0 comments:

Post a Comment