गुवाहाटीमे विद्यापति चेतना समिति मना रहल अछि विद्यापति स्मृति पर्व
गुवाहाटी : विद्यापति चेतना समिति, गुवाहाटी केर तत्वावधानमे दू दिवसीय विद्यापति पर्व समारोह हिँदुस्तानी केँद्रीय विद्यालय, भंगानगरमे शुरु भेल जेकर उद्घाटन महेंद्र मंलगिया केलनि। मौका पर महेँद्र मलंगिया मिथिलाक संस्कृति आ विद्यापति पर विचार रखलनि। एकरा बाद कवि सम्मेलन आयोजन भेल जेकर संचालन अमलेँदु शेखर पाठक केलनि जाहिमे डा॰ जयप्रकाश चौधरी जनक, श्रीप्रकाश, विद्याधर मिश्र, फूलचंद्र झा प्रवीण, गणेश झा आदि कविता पाठ केलनि। एकरा बाद 'अधिष्ठाता' नाटक केर सफल मंचन भेल जेकर निर्देशन कमल मोहन चुन्नू केलनि। दोसर दिन(आइ) सांझ 5 बजेसं सांस्कृतिक कार्यक्रम होएत। कार्यक्रमक पहिल दिनक सीधा प्रसारण मणिकांत झा द्वारा आकाशवाणी दरभंगा सं कएल गेल आ दोसर दिनक कार्यक्रमक प्रसारण सेहो होएबाक संभावना अछि।
0 comments:
Post a Comment