Sunday, January 12, 2014

मासिक होए कवि सम्मेलन : राखी बिड़ला

नई दिल्ली : मैथिली भोजपुरी अकादमी, दिल्लीक तत्वावधान मे रवि केँ श्रीराम सेँटर, मंडी हाउस मे कवि सम्मेलनक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रममे दिल्लीक समाज कल्याण महिला आ बाल विकास मंत्री राखी बिड़ला कहलनि जे मैथिली आ भोजपुरी दुनू मधुर भाषा अछि। दिल्लीक 40 फीसदी लोक मैथिली आ भोजपुरी भाषी छथि। विभिन्न प्रदेशसं आयल लोक दिल्ली केँ सांस्कृतिक नगरी बनेबा मे सहयोग दैत छथि। ओ कहलनि जे एहि तरहक कवि सम्मेलन मासिक होएबाक चाही। मैथिली भोजपुरी अकादमीक उपाध्यक्ष अजीत दुबे कहलनि जे 2008 सं इ अकादमी लगातार राजधानी मे मैथिली आ भोजपुरी भाषी केँ जोड़बाक काज कऽ रहल अछि। कार्यक्रमक संचालक कवि रवीन्द्र श्रीवास्तव केलनि आ अध्यक्षता प्रसिद्ध कवि गिरीश गुंजन केलन्हि। ओतहि सुभद्रा वीरेन, बुद्धिनाथ झा, मनोज भावुक आदि कविता पाठ केलनि।

0 comments:

Post a Comment