मैथिली बनय झारखंडक द्वितीय राजभाषा : सीपी सिँह
रांची : हरमू स्थित विद्यापति दलान मे रवि केँ झारखंड मैथिली मंच दिस सं मैथिली सम्मान समारोहक आयोजन भेल। मौका पर बरख 2014 क कलेंडर संग पंचागक विमोचन भेल। समारोह मे प्रतिभावान धिया-पुता केँ प्रोत्साहित करैत नवतुरिया सम्मान सं सम्मानित कएल गेल। मुख्त अतिथि पूर्व विधानसभा अध्यक्ष सीपी सिंह अप्पन भाषणमे अधिकार लेल मैथिली भाषी केँ एकताबद्ध रहबाक अनुरोध केलनि। ओ एहि मौका पर झारखंड सरकार सं मैथिली केँ द्वितीय राजभाषाक दर्जा देबाक मांग केलनि। पूर्व मुख्य सचिव एसके चौधरी कहलनि जे एहि तरहक आयोजन होइत रहबाक चाही। 'मैथिलीक संवैधानिक मान्यताक दस वर्ष' झारखंडक परिपेक्ष्य मे विषयक गोष्ठी मे डा. कृष्ण मोहन झा, नरेंद्र झा, सियाराम झा, श्याम दरिहरे, पंचानन मिश्र व विद्यानंद झा अप्पन विचार रखलनि। मौका पर आयोजन समिति अरिपन प्रतियोगिता, गीत प्रतियोगिता, पेंटिंग प्रतियोगिता करबाक निर्णय लेलक। कार्यक्रमक संचालन अमरनाथ आ धन्यवाद ज्ञापन जयंत झा केलनि।
0 comments:
Post a Comment