दरभंगा : दरभंगा जंक्शन पर दू टा स्वचालित सीढ़ी (एक्सीलरेटर) लागत। यात्री सुविधाक नजरि सं आबय वला समय मे जल्दिये एक्कर निर्माण कएल जाएत। इ गप्प मंडल रेल प्रबंधक एके मल्लिक कहलनि। गुरु केँ जंक्शन पर गप्पक करैत कहलनि जे एकटा एक्सीलरेटर प्लेटफार्म एक सं प्लेटफार्म चारि धरिक यात्री केँ सुविधा देत।
ओतहि दोसर बाहरी परिसरसं प्लेटफार्म लेल होएत। इ रेलवेक योजना मे शामिल अछि। जल्दिये एकरा धरातल पर उतारबाक प्रक्रिया शुरू कएल जाएत।
ओतहि दोसर बाहरी परिसरसं प्लेटफार्म लेल होएत। इ रेलवेक योजना मे शामिल अछि। जल्दिये एकरा धरातल पर उतारबाक प्रक्रिया शुरू कएल जाएत।
0 comments:
Post a Comment