Sunday, February 16, 2014

मैथिलीक विकासक लेल नेपाल सरकार सक्रिय नहि

पटना : पटना लिटरेचर फेस्टिवल मे प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमांडू केर सदस्य आ मैथिलीक साहित्यकार राम भरोस कापड़ि भ्रमर कहलनि जे नेपाल मे मैथिली साहित्य कऽ रचना स्वत: स्फूर्ति सं भेल, कोनो मिशन के लं नहि। मैथिली साहित्यक लेल नेपाल सरकार सक्रिय नहि अछि आ यैह कारण अछि जे मैथिली साहित्यक विकास तेज गति सं नहि भेल। जे कोनो पत्र-पत्रिका प्रकाशित भऽ रहल अछि, साहित्यकार अप्पन पेट काटि प्रकाशित कऽ रहल छथि। मैथिली साहित्य पर भेल संगोष्ठी मे ओ कहलनि जे नेपाल मे मैथिली पैघ स्तर पर बाजल जाइत अछि मुदा सरकारक ध्यान एहि दिस नहि।

0 comments:

Post a Comment