मुंबई/दरभंगा : एकता कपूर केर जी टीवी पर नव धारावाहिक 'कुमकुम भाग्य' शुरू होमय जा रहल अछि जे जेन ऑस्टिनक 'सेंस एंड सेंसिबिलिटी' पर आधारित अछि। इ एकटा एहन मायक जीवनक चित्रण अछि जे एकटा मैरिज हॉल चलाबैत छथि आ अप्पन दूनु बेटी केँ बियाह कऽ घर बसैत देखय चाहैत छथि। दूनु बहिन मे बड़की बहिनक किरदार श्रीति झा निभेती।
बताबी जे श्रीति झा मूल रुपे डरहार, दरभंगा जिलाक निवासी छथि। श्रीति झा कुमकुम भाग्य सं पहिले ज्योति, रक्त संबंध, जिया जले आदि हिँदी धारावाहिक मे अप्पन किरदार नीक रुपे निभा प्रशंसित भेल छथि।
कुमकुम भाग्य सीरियल जी टीवी पर मध्य मार्च सं राति नौ बजे देखाएल जाएत।

Waah, nik samachar je mithilanchalak beti hindi serial me naam kama rahal aich
ReplyDelete