Friday, May 30, 2014

दामिनी केँ राजस्थान हाउस सं जबरदस्ती निकालल गेल

सीकर/नई दिल्ली/दरभंगा : राजस्थानक सीकर मे दुष्कर्मक शिकार भेल दरभंगाक दामिनी आ हुनक परिजन केँ राजस्थान हाउस, दिल्ली सं जबरदस्ती हटा देल गेल। राजस्थान पुलिस हिनक सभ केँ बुध क राति दू बजे सीकर पहुंचा देलक। परिजन जखन पुलिस सं पूछल जे ओ सभ एतय कतय रहता तऽ पुलिस क जवाब छल जे भोर धरि व्यवस्था भऽ जाएत।
परिजन भूखल-प्यासल रोड पर बैसल रहला, मुदा राति धरि कियो नहि आएल। दामिनीक बड़की बहिन आ माय बिहार सरकार सं गाम लौटबाक व्यवस्था करबाक अपील केलन्हि। मददि लेल बृहस्पतिक सांझ दामिनीक बहिन सीकर एसपी हैदर अली जैदी सं भेँट केली आ परिवारक लेल सुरक्षाक मांग आ रहबा लेल कोना ठाम उपलब्ध करेबाक लेल कहलनि। एसपी क कहब अछि जे परिवार केँ सुरक्षा देल जाएत आ जहां धरि रहबाक प्रश्न अछि एहि संबंध मे जिलाधिकारी सं गप्प कएल जाएत।

0 comments:

Post a Comment