Saturday, May 31, 2014

दामिनीक मदद लेल आगां आएल बिहार सरकार

पटना : राजस्थान हाउस, दिल्ली सं जबरदस्ती निकालि कऽ राजस्थान मे सीकरमे रोड पर छोड़ि देल गेल दुष्कर्मक शिकार मासूम दामिनीक बिहार सरकार सभ संभव मदद करत। गृह विभागक प्रधान सचिव आमिर सुबहानी कहलनि जे एहि मामलामे राजस्थान सरकार सं बात करता। दामिनी आ हुनक परिजन केँ जे भी जरूरत होएत, सरकार मदद करत।

मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सेहो कहलनि जे बिहार सरकार दुष्कर्मक शिकार बचियाक आ हुनक परिजनक सहायता करत। शुक्र केँ श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल परिसर मे मुख्यमंत्री कहलनि जे हम उचित कारवाई करब, मुदा एकर जांच होएबाक चाही जे पीड़ित परिवारक संग ऐना कियैक भेल ? हम राजस्थान आ केंद्र सरकार सं सेहो आग्रह करब जे बचियाक आ हुनक परिवार केँ जे भी जरूरत हो, पूरा कएल जाए। बिहार सरकार पीड़िताक सभ संभव मदद करत।

0 comments:

Post a Comment