समस्तीपुर : माइक्रोमैक्स यूनाइट 2 स्मार्टफोन भारत मे लांच भऽ गेल जेकर दाम 6999 रुपए अछि आ अखन इ फोन आनलाइन www.flipcart.com पर उपलब्ध अछि। एहि फोनक सभसं पैघ खासियत अछि जे इ फोन मैथिली भाषा केँ सेहो( लगाइत 21 टा भारतीय भाषा) सपोर्ट करैत अछि। आ फोन एंड्रायड 4.4.2 किटकैट पर चलय वला माइक्रोमैक्स क पहिल स्मार्टफोन अछि।
माइक्रोमैक्स यूनाइट 2 ड्यूल-सिम सर्पोर्ट करैत अछि। एहिमे 480x800 पिक्सल्स रेजॉलूशन क 4.7 इंचक ब्राइट ग्राफ आईपीएस डिस्प्ले अछि। एहिमे 1.3 गीगाहर्ज क्वॉड-कोर प्रोसेसर आ एक जीबी रैम अछि। माइक्रोमैक्स पहिल बेर कोनो स्मार्टफोन मे गूगल क ऑपरेटिंग सिस्टमक लेटेस्ट वर्ज़न एंड्रायड 4.4.2 किटकैट देलक अछि।

0 comments:
Post a Comment