Thursday, June 5, 2014

फराक मिथिला राजक मांग लऽ जंतर-मंतर पर धरना

नई दिल्ली : अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तत्वावधान मे जंतर-मंतर, दिल्ली पर फराक मिथिला राज्यक मांग कएल गेल, जेकर अध्यक्षता कोलकाता सं आएल अशोक झा केलनि।

 झा कहलनि जे मिथिला क्षेत्र मे भाजपा सांसद केँ जिता हम सभ अप्पन काज केलौँ आब केँद्र सरकार केँ चाही जे मिथिला राज्य बनेबा लेल प्रस्ताव पारित करय। धरना कार्यक्रमक संयोजक प्रो॰ अमरेँद्र झा कहलनि जे फराक राज्य बनला सं एकर शैक्षणिक, सांस्कृतिक, औद्योगिक विकास होएत। धरनास्थल पर उपस्थित लोक सभ एक स्वर मे फराक मिथिला राज्यक मांग केलनि। फेर संस्थाक प्रतिनिधिमंडल राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री आ गृहमंत्री केँ ज्ञापन देलक। धरना-प्रदर्शन करनिहार मे मनोज झा, विवेक झा, बलवंत शास्त्री, अमरनाथ झा लगाएत सैकड़ो लोक उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment