Saturday, June 7, 2014

हुकुम-वीरेँद्र-कीर्ति-रंजीता-पप्पू संसद मे मैथिली मे शपथ लेलनि

दिनांक : 5 जून 2014 स्थान : संसद भवन, दिल्ली
भारतक 16म लोकसभाक दोसर दिन, दुपहरियाक 12 बाजि कऽ 21 मिनट आ 45 सेकेँड

मधुबनी सं निर्वाचित भाजपा सांसद हुकुमदेव नारायण यादव मैथिली मे शपथ लैत कहला - हम हुकुमदेव नारायण यादव जे लोकसभाक सदस्य निर्वाचित भेलौँ अछि ईश्वरक शपथ लैत छी जे हम विधि द्वारा स्थापित भारतक संविधानक प्रति श्रद्धा आ निष्ठा राखब.......... एकरा बाद झंझारपुरक भाजपा सांसद वीरेँद्र कुमार चौधरी आ एकरा बाद दरभंगा सं चुनल गेल भाजपाक सांसद कीर्ति झा आजाद मैथिली मे शपथ लऽ हैट्रिक लगौलनि। कीर्ति झा आजाद मिथिलाक वेशभूषा धोती-कुर्ता-पाग मे संसद पहुंचल छलथि। इ एकटा ऐतिहासिक क्षण छल।
फेर अगिला दिन माने 6 जून केँ सुपौल सं चुनल गेल कांग्रेसक सांसद रंजीता रंजन आ मधेपूरा सं चुनल गेल राजदक पप्पू यादव मैथिली मे शपथ लऽ संसद मे मैथिली क आवाज बुलंद केलनि।
मिथिलावासी एहि पांचू सांसद केँ मैथिली मे शपथ लेबा लेल धन्यवाद कहलनि।


हुकुमदेव नारायण यादव, वीरेंदर कुमार चौधरी आ कीर्ति झ आज़ाद संसद में मैथिली मे शपथ ग्रहण करैत , वीडियो देखबाक लेल क्लिक करू

0 comments:

Post a Comment