दरभंगा : विदेश मंत्रालय दरभंगामे उत्तर बिहार क्षेत्रीय पासपोर्ट सेवा केन्द्र खोलत। सूत्रक मानी तऽ पासपोर्ट कार्यालय लेल विदेश मंत्रालयक एकटा टीम दरभंगा दौर सेहो केलक अछि। पासपोर्ट सेवा केंद्र लऽ रीजनल पासपोर्ट अफसर आ जिला प्रशासनक बीच गप्प चलि रहल अछि।
दरभंगा मे पासपोर्ट केन्द्र बनिते पासपोर्ट आवेदक केँ आवेदन पत्र, साक्षात्कार सं लऽ पासपोर्ट धरि, सभ काज दरभंगा केँद्र सं होएत। आब पासपोर्टक लेल पटना दौड़-बरहा करबाक आवश्यकता नहि रहि जाएत। बताबी जे दरभंगा मे पासपोर्ट सेवा केंद्र लोकक चिर-प्रतीक्षित मांग अछि आ बहुत संभव जे विदेश मंत्रालय जल्दिये एहि पर अप्पन मुहर लगाएत।

मोन प्रसन्न भेल
ReplyDelete