दरभंगा : मिथिलांचल विकास परिषद दिस सं प्रसिद्ध कवि बैद्यनाथ मिश्र यात्री-नागार्जुन क 105म जयंती बीतल शुक्र के मनाएल गेल। मौका पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय परिसर मे हुनक प्रतिमा पर माल्यार्पण कऽ श्रद्धांजलि देल गेल।
मौका पर वरिष्ठ साहित्यकार प्रो॰ भीमनाथ झा हुनक काव्य संग्रह चित्रे सं मिथिले वंदना आ जेठक विकट दुपहरिया कविताक पाठ केलनि। यात्री क जेठ पुत्र शोभाकांत मिश्र हुनक बांग्ला कविताक हिँदी मे पाठ केलनि। अंत मे परिषद दिस सं निर्णय लेल गेल जे बाबाक प्रतिमा आ लग-पास के हरदम साफ सुथरा राखल जाए आ ताहि लेल एकटा प्रतिनिधिमंडल लनामिव क कुलपति सं भेँट करत। मौका पर अशोक कुमार मेहता, विद्यानाथ झा, शुभचंद्र झा, रामाशीष यादव आदि उपस्थित छलथि।

Baba Nagarjun Hindi me bhi likhte the, Nayan Kumar Das
ReplyDelete