Friday, December 12, 2014

मिथिलाक पुरातात्विक ठाम कें संरक्षित करबाक जरुरत : फणीकांत मिश्र

पटना : भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण कोलकाता क क्षेत्रीय निदेशक डॉ. फणीकांत मिश्र कहलनि जे मिथिलामे पुरातात्विक महत्वक कतेको  ठाम कें संरक्षित करबाक जरूरत अछि। मधुबनी जिलाक राजनगर कें संरक्षित करबाक काज शुरू भ गेल अछि। मैथिली साहित्य संस्थान दिस सं पटना संग्रहालय मे मिथिला पुरातत्व दशा और दिशा विषय पर बाजैत मिश्र मिथिलाक सीमा क जिक्र करैत कहलनि जे पुरातन ग्रंथ मे मिथिलाक 12 नाम क जिक्र अछि।

मिथिला भारतीय शोध पत्रिका क विमोचन करैत बिहार भूमि न्यायाधिकरणक अध्यक्ष न्यायमूर्ति मृदुला मिश्र कहलनि जे शोध पत्रिका क पुनरुद्धार जरूरी छल, एहि सं कतेको तरहक शोध सोंझा आएत। मौका पर प्रो. हेतुकर झा, संग्रहालयक निदेशक डॉ. जेपीएन सिंह, भैरव लाल दास, शिवकुमार मिश्र आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment