पटना : बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी छोट राज्यक मांगक समर्थन करैत छथि मुदा फराक मिथिला राज्यक गप्प सुनैत ओ बिहारक बंटवारा नहि चाहैत छथि, कहि निकली जाइत छथि। सुशील मोदी कहैत छथि जे बिहारक बंटवारा एक बेर पहिलहुं भेल अछि तै आब एकर कोनो टा प्रयोजन नहि छैक।
मिथिला प्राइम पूर्व उपमुख्यमंत्रीक सामान्य ज्ञान ठीक करैत हुनका बता रहल अछि जे बिहार एक बेर नहि दू बेर विभाजित भेल अछि। 1936 मे बिहार सं कटि उड़ीसा, अखुनका ओडिशा आ 2000 मे एकटा आओर प्रदेश बिहार सं कटि क आएल, झारखण्ड।
आब प्रश्न इ अछि जे जौं सुशील मोदी छोट राज्यक समर्थन करैत छथि तखन फेर मिथिलाक समर्थन किएक नहि ? मिथिला संगे पूर्व उपमुख्यमंत्रीक दोहरा रवैया किएक ?

0 comments:
Post a Comment