Monday, December 8, 2014

कलकत्ता विश्वविद्यालय मे मैथिलीक पढाई फेर सं संभव

कोलकाता : तारासुंदरी पार्क, कोलकाता मे बीतल काल्हि मिथिला विकास परिषद क तत्त्वावधान मे 14 दिनी मिथिला महोत्सवक शुरुआत भेल जेकर उद्घाटन पश्चिम बंगाल क राज्यपाल केसरीनाथ त्रिपाठी केलनि. कार्यक्रमक शुरुआत गोसाउनिक गीत जय जय भैरवि.... सं अंजना आ नयना इस्सर क मधुर आवाज़ मे भेल।

 कार्यक्रम मे संस्थाक अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे मिथिला, भारतक सांस्कृतिक राजधानी अछि, मिथिला पेंटिंग विश्वविख्यात अछि। संगे ओ मंच सं राज्यपाल सं कलकत्ता विश्वविद्यालय मे फेर सं मैथिलीक पढाई शुरू करेबाक मांग केलनि। एही मांग पर राज्यपाल केसरीनाथ त्रिपाठी गंभीरता सं विचार करबाक आश्वासन देलनि। राज्यपाल कहलनि जे भारतीय संस्कृति मे मिथिलाक योगदान अछि। बता दे जे मिथिला विकास परिषद कलकत्ता विश्वविद्यालय मे मैथिलि पढाई क मांग बहुत दिन सं क रहल अछि।

बीतल काल्हि शुरू भेल मिथिला महोत्सव आगामी 20 दिसंबर धरि चलत। एहि दू साप्ताहिक कार्यक्रम मे मिथिला-मैथिलीक मुद्दा पर चर्चा-परिचर्चा चलत संगे गीत-नाद, पोथी-प्रकाश, मिथिलाक लोकगीत पर नृत्यक आयोजन होएत।

1 comment: