पटना : मैथिली कें डिजिटल बनेबा दिस आइ मोज़िला फायरफॉक्स एक डेग आगू बढ़ा देलक। मैथिली भाषा मे एंड्रॉयड फोन लेल फायरफॉक्स ब्राउज़र कें रिलीज़ होयब बड्ड महत्वपूर्ण अछि किएक त फोन पर मैथिलीक इ पहिल ब्राउज़र अछि। एकर लोकार्पण श्री नरेंद्र नारायण यादव, राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री बिहार सरकारक द्वारा कयल गेल। इ कार्यक्रम होटल अशोका, पटना मे संपन्न भेल।
कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रसिद्ध भाषाविद गोविंद झा केलनि। इ ऐतिहासिक काज राजेश रंजन, संगीता कुमारी, राकेश रोशन, प्रतिभा कुमारी आदि द्वारा पूरा कयल गेल अछि। एहि ब्राउज़र कें आहां अप्पन एंड्रॉयड फ़ोन मे एतहि सं डाउनलोड क सकैत छी ftp://ftp.mozilla.org/pub/mobile/releases/31.0/android/mai/
त आब अप्पन भाषा मे फ़ोन चलाऊ !

0 comments:
Post a Comment